रविवार, 25 अक्तूबर 2015

559 . कोजागरा !


५५९ 
कोजागरा
ई पावनि आश्विन शुक्ल पूर्णिमा के मनाओल जाइत अछि ! एहि दिन लोक अपन घर आँगन नीक क नीपैत छैथि ! साँझ में दोआरि परसँ भगवतीक चीनवार तक एकटा अरिपन देल जाइत अछि पिठारसँ तहन भगवतीकेँ लोटाक जलसँ घर करैत छथि ! भगवतीक चिनवार पर कमलक अरिपन द ओहि पर सिंदूर लगा एकटा लोटामें जल भरि राखि ओहि पर आमक पल्लव द तामक सराइमे एकटा चानीक रुपैया राखि ताहि पर लक्ष्मी पूजा करैत छथि ! प्रसाद में अँकुरी , पान , मखान , केरा , मिसरी तथा नारियल भोग लगबैत छथि ! तहन प्रसाद बाँटल जाइछ ! ई कार्य घरक जे प्रसद्धि महिला से करैत छथि ! भगवती घर करक मन्त्र - " अन धन लक्ष्मी घर आउ ! दलिद्रा बाहर जाउ !! "

कोई टिप्पणी नहीं: