७३१
हे माय अहाँ बिनु आश ककर
जगदम्ब अहीं अवलम्ब हमर , हे माय अहाँ बिनु आश ककर ?
जं माय अहाँ दुःख नहि सुनबइ , तँ जाय कहु ककरा कहबइ ?
करू माफ़ जननि अपराध हमर , हे माय अहाँ बिनु आश ककर ?
हम भरि जग सँ ठोकरायल छी , माँ अहींक शरण में आयल छी ,
देखु हम पड़लहुँ बीच भँवर , हे माय अहाँ बिनु आश ककर ?
काली - लक्ष्मी - कल्याणी छी , तारा - अम्बे - ब्रह्माणी छी ,
अछि पुत्र ' प्रदीप ' बनल टूगर , हे माय अहाँ बिनु आश ककर ?
प्रभुनारायण झा ' प्रदीप '
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें